मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल तदर्थ समितिके कार्यकारिणीक दिनांक २०७५/१२/३० क बैसारसँ भेल निर्णय अनुसार प्रतिष्ठानक प्रथम साधारण सभा विस २०७६ साल बैशाख २८ गते शनिदिन निम्नलिखित स्थान आ समयमे आयोजन कएल जाएत। प्रतिष्ठानक सदस्यलोकनिसँ आग्रह जे निर्धारित तिथिपर समुपस्थित भेल जाए आ साधारण सभाके सफल बनाओल जाए।

साधारण सभाक मूल विचारणीय बिन्दुसभ:

१) स्थापना कालसँ एखन धरिक कार्य प्रगति विवरण प्रस्तुति
२) आर्थिक प्रतिवेदन प्रस्तुति
३) नव कार्यसमिति गठन
४) आवश्यक भेला पर अन्य।

स्थान:
श्री प वि मा वि राजविराजक सभाकक्ष
दिनांक:
२०७६/०१/२८ ( शनिदिन)
समय:
दिनक १० बजेसँ *

द्रष्टव्य: – कार्यसमितिमे एबाक लेल पहिने आजीवन-सदस्यता ली। आजीवन-सदस्यताके लेल एहि पोस्ट पर प्रतिक्रिया जनाबी वा सम्पर्क करी: ९८०७०३३८७० । ईमेल वा वाटसॅपद्वारा फारम पठाओल जाएत। – प्रतिष्ठानक मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितिक श्रृंखला १८ ओहि दिन साधारण सभाक समाप्तिक बाद दिनक २ बजेसँ आयोजन कएल जाएत।

Location: श्री प वि मा वि राजविराजक सभाकक्ष